काठमाण्डौँ । निर्वाचन आयोग आसन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल सकभैर नेपालमे उत्पादित सामग्री प्रयोगक नीति लेलक अइछ ।
निर्वाचनकेँ मितव्ययी, पारदर्शी बनेबाक आ स्थानीय सामग्रीके प्रयोग तथा प्रोत्साहनक लेल आयोग सकभैर नेपालमे उत्पादित सामग्री प्रयोग करबाक नीति लेने अइछ ।
निर्वाचनक लेल जमा ५१ टा सामग्री प्रयोग हएत आ अखन ३७ प्रकारक सामग्री विकेन्द्रीकृत रूपमे प्रदेश आ जिलासँ खरिद भ प्रयोग करएजँका प्रबन्ध कएल गेल आयोगके प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।
केन्द्रस्तरसँ १४ प्रकारक सामग्री खरिद होबाक आ अधिकांश खरिदक लेल ‘जिटुजी’ अवधारणाअनुसार साल्ट ट्रेडिङ कम्पनीकेँ जिमेवारी देल गेल अइछ । निर्वाचनक लेल छ करोड़ ७५ लाख टकाके मात्रे नयाँ सामग्री खरिद कएल गेल आ अन्य सामग्री पुरान (स्टक) केँ फेरसँ प्रयोगमे आनल गेल ओ बतौलैन ।
अगिला फागुन २१ गते होएबला निर्वाचनक लेल उम्मेदवारीके मनोनयनपत्र दर्ता, दाबी विरोध आ निर्वाचन चिह्न प्रदानके कार्यक्रम सम्पन्न भ चुकल अइछ ।
वि.सं.२०८२ माघ १५ बिहीवार १३:४५ मा प्रकाशित






























