back
CTIZAN AD

गजल

वि.सं.२०७८ असार १९ शनिवार

708 

shares

चलाकक शहरमे चलाकी कऽ विधि जानि लेलौं
गजब भेल चालनिसँ हम पानि जे छानि लेलौं

बहुत दिनसँ खोजैत रहियै अपन शत्रुके हम
अचानक नजरि ऐना पर गेल पहिचानि लेलौं

मिला देत ओ माटिमे हमरा धमकी दऽ गेलै
जनमि गाछ छू लेब हमहूँ गगन ठानि लेलौं

कते साक्ष्य प्रस्तुत करू आर प्रेमक परखमे
अहाँ केर पाथर हिया देवता मानि लेलौं

कलीके खिलल देखि बचपन पड़ल मोन काइल
भसाबैत निर्मालके देखिते आइ हम कानि लेलौं

विरहमे किए मित्र जिनगी बितेबै अनेरो
पहिल छोडी गेलै त की दोसरो आनि लेलौं

अलग बात छै ई जे हम होशमे नै छी ‘कुन्दन’
भले लड़खड़ाइत अपन ठाम ठेकानि लेलौं

122-122-122-122-122

बहर : मुतक़ारिब मोअश्शर सालिम

भाषा : मैथिली

वि.सं.२०७८ असार १९ शनिवार ०७:१३ मा प्रकाशित

साहित्यकार न्यौपानेद्वारा लिखित ‘मनका उद्गार’ कृति विमोचन

साहित्यकार न्यौपानेद्वारा लिखित ‘मनका उद्गार’ कृति विमोचन

घोराही । साहित्यकार माधवप्रसाद न्यौपानेद्वारा लिखित ‘मनका उद्गार’ कृतिको विमोचन...

जनसांस्कृतिक महासङ्घ नेपालको संय‍ोजकमा भीम कुमाखी चयन

जनसांस्कृतिक महासङ्घ नेपालको संय‍ोजकमा भीम कुमाखी चयन

काठमाडौं । जनसांस्कृतिक महासङ्घ नेपालको ऐतिहासिक एकताको राष्ट्रिय सम्मेलन भव्यतापूर्वक...

झिल्का कविता

झिल्का कविता

राज कुमार राजभण्डारी खाेटाङ्गे ऐसेलुखर्क - ३ , खाेटाङ १....

चारु

चारु

भवानी पोखरेल (बाबु बिराज) बाणगंगा १, कपिलवस्तु आउन पाएको छैन...

सुसेली

सुसेली

टेक बहादुर लौडारी भानु ४ , तनहुँ, ‌‌ आयो असार...

मुक्तक

मुक्तक

मल्ल लक्ष्मी श्रेष्ठ, बिर्तामोड झापा १, पटक पटक धोका दिन्छ...